नियति- (सुभाष चंद्र)

- सुभाष चंद्र
बहुत किछु देखि कय हम
आँखि मूनि लैत छी
बहुतो के पुकार केँ
अनसुना कय चलि जाइत छी
मौनक गप्प बाहर नहि निकलि जाए
अंत:करण मे दबा लैत छी
किएक
सच
देखबा, सुनबा आ कहबाक अंजाम
अखबारक पहिल पन्ना पर
कतेको दिन देखि चुकल छी
नियति सेहो किछु एहने सन भ गेल
स्वयं केँ ऑन्हर, बहिर आ बौक मानि
घर सँ बाहर निकलैत छी।

अंतिम फेसबुक अपडेट

लेखक: आदि यायावर मूलनाम: डा. कुमार पद्मनाभ पीयूस आफिस पहुँचि गेल छलाह. सबसँ पहिने अपन लैपटॉप खोलि फेसबुक में स्टेटस अपडेट केलाह आ ...