एना किए ? - संतोष कुमार मिश्र

- श्री संतोष कुमार मिश्र
एकटा स्त्री,
हमर घरक सभटा काज क' दैअ
समय-समय पर आबिकs
हमर जरुरत पुरा क' दैअ
एहिके बाद ओ परतरि दैअ
मुदा एना किए?

Santosh Kumar Mishraकवि- श्री संतोष कुमार मिश्र। जनकपुर (नेपाल) निवासी श्री संतोष कुमार मिश्र जी काठमाण्डू (नेपाल) मे एकटा बहुराष्ट्रीय कम्पनी मे अधिकारी छथि। मैथिली साहित्य सँ विशेष लगाव आ मैथिली मे एखन धरि “पोसपूत" आ "उदास मोन” (कथा संग्रह), एना (आईना) (सम्पादित कविता संग्रह) प्रकाशित आ एखन एकटा कविता संग्रह "एना किए" प्रकाशनाधीन छन्हि। सम्पर्क- 00977-98510-11940 (मोबाइल)


जहिया हम असगरे रहै छी
तहिया ओ हमरा संग राति बित'बैय
कखनो तिल त' कखनो तार
कहियो राई के बनादै पहाड
कखनो हमरा लेल आँखि मे नोर
आ कखनो हमरा सँ दूर
मुदा एना किए?

की इएहे त' प्रेम नहि?
की इएहो प्रेम छै?
हमरा कोनो बेगरता होय
ओ सेहो पुरा क' दैअ
गलती जौं भ' गेल हमरा सँ
त' डटबो करैए
मुदा एना किए?

ओकर आँखि मे
एकटा भावना रहै छैक
ओकरा विश्वास रहै छैक हमरे पर
तैयो ओ हमरा डटैत रहैए
मुदा एना किए?

किछु जौं कहि दिअय त' 
भ' जाइए टोका-चाली बन्द
ओकर मुँह बन्द भइयोक '
ओकर आँखि
अपन प्रेमक गीत कहैए
मुदा एना किए?

किछु समय बाद
जेना किछु भेले नहि होय
जेना ओ हमरा सँ चिंतीते नहि हुयै
तहिना व्यवहार करैय
मुदा एना किए?

अंतिम फेसबुक अपडेट

लेखक: आदि यायावर मूलनाम: डा. कुमार पद्मनाभ पीयूस आफिस पहुँचि गेल छलाह. सबसँ पहिने अपन लैपटॉप खोलि फेसबुक में स्टेटस अपडेट केलाह आ ...