हलका-फुलका



भारत
-पाकिस्तान क्रिकेट श्रृंखला चलि रहल छल। छोटकू कान में रेडियो लगौने पूर्ण मगनता'क साथ कमेंट्री सुनि रहल छल। हमर अग्रज राकेश बाबू पूछलखिन्ह जे स्कोर कतेक भेलैक। ओ हाथ सs इशारा करैत चुप रहै के लेल कहलकन्हि। एक-दू बेर फेर स' पुछला'क उपरांत जखन ओ किछु नहिं बाजल तs ओ ओकरा डपतैत कहलखिन्ह बकार हरन भs गेलौक की, बाज ने कतेक स्कोर भेलैक। ओ सकपकायत बाजि उठल "अंगरेजी में दय रहल छैक"।


--------------******************************----------------

इंटरनेट पर चैटिंग'क क्रम में राजीव बाबू हमरा स पुछलथि जे स्पीड कतेक अछि (हुनक तात्पर्य इंटरनेट स्पीड स रहन्हि),
हमर जवाब छल जे अंग्रेजी में 40शब्द प्रति मिनट!


----------*******************-------------


बंगलोर आबय सs पहिने हमर पदस्थापन भुवनेश्वर (उडीसा) में छल। ओहिठाम एकबेर एकटा मेडिकल सेमिनार'क आयोजन कयने छलहुँ। जाहि में एक स एक प्रतिष्ठित चिकित्सक सभ आमंत्रित छलाह। ओहि में एकटा टिपीकल उडिया महानुभाव कोनो प्रकारेण अपन टुटल-फूटल हिन्दी में हमरा स पुछलैत जे "आप लोगों का क्रियाकर्म कब शुरू होगा"।

हमर जवाब छल "आप जैसे चार-पाँच लोग कंधा देने आ जाऎंगे तो वो भी शुरु हो जाएगा"!

------------***************--------------


बहुत हँसी लेलहुँ। आब किछु आत्म-मंथन करु।

कहियो अपन मोबाइल/टेलीफोन स अपन नम्बर लगा के देखलियैक अछि। सदिखन व्यस्त भेटत, इ विधि'क लेख थिक। दुनिया-जहान स बात करय के लेल बहुत रास लाइन खुजल अछि मुदा अपना-आप स बात करय के लेल सभ लाइन व्यस्त अछि।


-कुन्दन कुमार मल्लिक, बंगलोर, सम्पर्क- +९१-९७४०१६६५२७


अंतिम फेसबुक अपडेट

लेखक: आदि यायावर मूलनाम: डा. कुमार पद्मनाभ पीयूस आफिस पहुँचि गेल छलाह. सबसँ पहिने अपन लैपटॉप खोलि फेसबुक में स्टेटस अपडेट केलाह आ ...