विरह

सजन हमर छथि दूर हम स’,
मोन कोना के लागय री,
बलम हमर छथि दूर हम स’,
मोन कोना के लागय री।

सपना में देखलहुँ जे मूरत हुनकर,
मोने मोन मुसकाय री,
एक बेर देखतौं जे सूरत हुनकर,
दिल हमर हर्षायत री।
सजन हमर छथि दूर हम सं...

सभक सजन छथि संगे हुनकर,
हमर किया तरसाय री,
कतेक बरस गेल बीत हमर,
ई बरस कोना बिताय री।
सजन हमर छथि दूर हम सं...

अबकि जे औता ऊ पास में,
नहि देबैन हम जाय री,
सोना के देबैन्ह बान्हि सोना सँ,
देखबैन्ह कोना छुड़ाय री।
सजन हमर छथि दूर हम सं...

अंतिम फेसबुक अपडेट

लेखक: आदि यायावर मूलनाम: डा. कुमार पद्मनाभ पीयूस आफिस पहुँचि गेल छलाह. सबसँ पहिने अपन लैपटॉप खोलि फेसबुक में स्टेटस अपडेट केलाह आ ...