कुमारै रहबै

खोलह आँखि हे औढर-ढर तौं,
हम की आब कुमारै रहबै।

बौक बताह सब पार उतरि गेल,
नेंगरो मारै मोछ पर तान।
लगनक जोरगर कहु लुखबा केँ,
छोरेलक उहो गदहा छान।
नेना-भुटका राज भोगय यै,
हम सभ दिन झामें बुरबै...
खोलह आँखि हे औढर-ढर तौं,
हम की आब कुमारै रहबै।

सीनीयर के की बात पुछय छी,
जुनियर आब कहाबै पापा,
हम अखनि धरि भटकि रहल छी,
चढत मौर नहि हमरा माथा।
हमहुँ अनसन ठानि दैत छी,
माँग कोना मंजूर ने करबै...
खोलह आँखि हे औढर-ढर तौं,
हम की आब कुमारै रहबै।

हम तँ छाती पाथर केलहुँ,
हमरा विधि नहि लिखलनि ई।
बिनु रोजगारक विवाह करब नहि,
निश्चय हमर प्रतिज्ञा छी,
हमरा नहि अछि अपन चिन्ता,
दोसरक भार हम कोना उठैबे...
खोलह आँखि हे औढर-ढर तौं,
हम की आब कुमारै रहबै।

उमर नौकरीक बिती रहल अछि,
घर पर नहि अछि खेत पथारी।
मुँह बौने हम ठाढ देखै छी,
विकट समस्या बेरोजगारी।
घटक महोदय जे फेर में परलाह,
हुनको टाँग तारबे करबै...
खोलह आँखि हे औढर-ढर तौं,
हम की आब कुमारै रहबै।

अंतिम फेसबुक अपडेट

लेखक: आदि यायावर मूलनाम: डा. कुमार पद्मनाभ पीयूस आफिस पहुँचि गेल छलाह. सबसँ पहिने अपन लैपटॉप खोलि फेसबुक में स्टेटस अपडेट केलाह आ ...