बेटी के जनम पर- कुन्दन कुमार मल्लिक

(११ मई, २००८। बंगलोर सँ हैदराबाद जाय काल में)
किछु तs नहिं बदलल
सभ किछु ओहिना अछि,
बस नाम के आगू डिग्री लागि गेल
मुदा सोच ओएह अछि,
परिवेश बदलल,
मुदा परिदृश्य ओएह अछि,
चेहरा बदलल,
मुदा लोक ओएह अछि,
संसद भवन सs राष्ट्रपति भवन तक
महिला लोकनि विद्यमान छथि
चारु कात महिला आरक्षण के चर्चा अछि,
मुदा एखनो बेटी के जनम लयते,
कहय छथि,
मारि बाढ़न्हि, फेर बेटी जनमौलक

- कुन्दन कुमार मल्लिक,
ग्राम- बलियारी, डाक- झंझारपुर,
जिला- मधुबनी (बिहार)- ८४७४०४
ई-मेल- kkmallick@gmail.com
सम्पर्क-+९१-९७३९००४९७० (बंगलोर)

अंतिम फेसबुक अपडेट

लेखक: आदि यायावर मूलनाम: डा. कुमार पद्मनाभ पीयूस आफिस पहुँचि गेल छलाह. सबसँ पहिने अपन लैपटॉप खोलि फेसबुक में स्टेटस अपडेट केलाह आ ...