आजुक समय में कम्प्युटर शिक्षाक महत्व

कम्प्युटर : की आ किएक?
आजुक दिन में कम्प्युटर शब्द किनको सँ बाचल नहि अछि। ओना त’ हिन्दी वा मैथिली में कम्प्युटरक नाम अछि “संगणक” मुदा एहि नाम स’ बहुतो लोकनि अनभिज्ञ होयब आओर ई शब्द किछु अनर्गल बुझायत। खैर…. अपन मातृभाषा मैथिली में हम सब एहन ढ़ेरो अंग्रेजी शब्दक प्रयोग करैत छी जे विशुद्ध मैथिली में विचित्र बुझना जायत। अजुका दिन में सभकें ‘कम्प्युटर साक्षर‘ (Computer Literate) होबाक चाही। ‘कम्प्युटर साक्षरता‘ (Computer Literacy) सँ मतलब जे कोनो आदमी ‘कम्प्युटर अनुप्रयोग‘ (Computer Applications) के साधारणतया प्रयोग मे लाबि सकैथ। दोसर तरहे यदि इ बात के कही त’ एकटा एहन आदमी जे कम्प्युटर के प्रयोग आम जिनगी के काज में क’ सकय।

कम्प्युटर सँ आय बहुत काज संभव छैक। जाहि कारणे वर्तमान समय में कम्प्युटर एकटा महत्वपूर्ण अंग बनि गेल छैक। आजुक छोट–मोट व्यापारियो एकटा कम्प्युटर खरीदबाक आ कम्प्युटर ऑपरेटर रखवाक हिम्मत करैत छथि। एकर लोकप्रियता आ माँग के पाँछा ढ़ेरो कारण अछि। उदाहरणक तौर पर देखी त’ जेना कोनो दरख्वास्त वा चिठ्ठी कोनो ऑफिस मे देबाक जरुरत होयत अछि तऽ दरख्वास्त कँ टाइपराइटर (Typewriter) पर टाइप करा के दैति छी, मुदा इ टाइप करायल दरख्वास्त में बहुतो कमी आ अपूर्णताक संभावना रहैत छैक, जेना Spelling Mistakes के संभावना, पाराग्राफक Alignment में समस्या, पृष्ठक Margins में समस्या, इत्यादि।

इ सभटा समस्याक समाधान आब कम्प्युटर सँ बिना कठिनाइ के संपादित कयल जा सकैत अछि। कम्प्युटर में Spelling Checking के सुविधा अछि जे स्वतः इंगित करैत छै जे कोन शब्द्क हिज्जै (Spelling) गलत अछि। एकर अलावा कम्प्युटर Grammatical Errors सेहो मार्गदर्शित कऽ सकैति अछि। इ सब सुविधा (Facilities) स’ लिखल दरख्वास्त वा चिठ्ठी में कोनो Spelling Mistakes आ Grammatical Errors के संवाभना कम अछि। पाराग्राफक Alignment आ Margins के तरीका बहुत ही सुविधाजनक अछि। एकर अलावे एकटा दरख्वास्त वा चिठ्ठी लिखवाक आ ओकरा मुद्रित (Printouts) करबा काल तक जे–जे सुविधा (Facilities) होबाक चाही वो सभटा कम्प्युटरक सॉफ्टवेयर पैकेज (Software Package) मे छैक।

वर्तमान समय मे कम्प्युटर बहुत आँगा बढ़ि गेल अछि। Banking Sector मे जहिना धूम – धड़ाका सँ प्रयोग में अछि तहिना Medical के क्षेत्र में। जहिना रेलक सवारी के आरक्षण मे कम्प्युटरक Whistle बाजि रहल अछि तहिना हवाई जहाज के सेहो उड़ा रहल अछि। मोटा–मोटी यदि एक लाईन मे कही त’ नवयुग में कम्प्युटर ओहिना सब क्षेत्र में जरुरी अछि जहिना तरकारी में नोन।

वर्तमान समय में कम्प्युटरक आवश्यकता के आधार पर इ कहल जा सकैत अछि जे यदि अहाँ कम्प्युटर नहि जानैत छी त’ अहाँ निरक्षर छी। अंग्रेजी में सेहो मुहावरा (Proverb) बनि गेल अछि – “If you are not a computer literate it means you are illiterate.”

अजुका समय में जिनका पास Internet के सुविधा उपलव्ध अछि, हुनका लेल बहुतो चीज बदलि गेल छैक। यदि आजुक समय सँ दस–बारह साल पाछाँ जाइ आ पत्राचारक माध्यम के बारे में सोची त’ पहिने स्मृति-पट्ल पर थौक में पोस्टकार्ड, अन्तर्देशीय, आ लिफाफा खरीदवाक बात आबि जायत। एकर पाछाँ एकटा कारण अछि जे ओहि समय में पत्राचारक माध्यम लेल पोस्ट–ऑफिस के प्रखर भूमिका छलि। आओर सबहक लेल डाकक माध्यम सुगम आ सरल छल। पत्र के अलावे गाम–गाम में मनीऑर्डर पहुँचेबा में सेहो डाक अग्रणी छल। एवम प्रकारे डाक पत्राचार आ पैसा भेजय वास्ते एकमात्र साधन बुझना जायत छल। मुदा नहुँए–नहुँए समय आ दुनिया मे परिवर्तनक लीला जारी रहैत अछि। इ पत्राचार परिवर्तनक लीला मे कुरियर (Courier) आ ई-मेल (E – mail / Electronic - Mail) आयल आ धूम – धड़ाका सँ पत्राचारक माध्यम पर कब्जा क’ लेलक। आजुक दिन मे जिनका कुरियर वा ई–मेलक सुविधा अछि वो सब पोस्ट–ऑफिस केर रस्ता–पेरा बिसरि गेल छथि। सब लोकनि जे प्रत्येक दिन डाकिया केर इंतजार में दरवाजा पर एकटक लगा के बैसल रहैत छलाह वो सब आय डाकिया के चिन्हतो नहि छथि। कारण बहुतो पत्राचार ई–मेल स’ सम्भव भऽ जायत अछि, खास कऽ के शहरी परिवेश में।

किएक? आ ई–मेल के प्रखर जगह बनेबाक कारण की? एकर कारण त’ बहुत अछि आ ताहि में सब सँ पैघ कारण अछि जे ई–मेल बड्ड सस्ता आ तेज अछि। सस्ता स’ मतलब अछि जे यदि हम एकटा दस पन्ना के पत्र कतौ डाक सँ भेजब त’ जे भेजबा में पाय लागत वो पाय ई–मेल भेजबा में लागल पाय सँ बड्ड बेसी हेतैक। आओर तेज सँ मतलब जे डाक सँ भेजल पत्र यदि गन्तव्य स्थान पर चारि दिन में पहुँचत तँ ई–मेल कएल पत्र दु मिनट में गन्तव्य स्थान पर पहुँचि जायत। एकर अलावा डाक सँ भेजल पत्र के गन्तव्य स्थान मात्र पर पाबि सकैत छी मुदा ई–मेल के कोनो स्थान पर पाबि सकैत छी। मतलब डाक सँ भेजल पत्र यदि कोलकत्ताक के अछि त’ वो पत्र कोलकत्ते मे प्राप्त भऽ सकैत अछि, मुदा ई–मेल में एहन बात नहि अछि; ई–मेल के विश्व के कोनो जगह मे पाबि सकैत छी, जतय कम्प्युटर आ इंटरनेट उपलब्ध होय।

आय यदि कोनो शहर में नौकरी खोजबा लेल जाइ त’ साक्षात्कार (Interview) लेबय बलाक पहिल प्रश्न यैह होयत जे “कम्प्युटर के जानकारी अछि? ” वा “Do you know computers?”. आय छोट–मोट अस्पतालो में बिल वा रसीद कम्प्युटर सँ निकालल जायत अछि। यैह काज पहिने बिना कम्प्युटर सँ होयत छल। यदि विकसित शहर के किराना दुकान के देखी त’ कोनो समान खरीदवाक बाद कम्प्युटरे सँ निकलल रसीद भेटत। देखी त’ कम्प्युटर समूचे दुनियाँ में छा रहल अछि चाहे वो दवाई के दुकान में हो वा बैंक में।

कम्प्युटर प्रयोग करबा सँ मुख्य लाभ:
(अ) समयक बचत (Saving of Time): कम्प्युटर प्रयोग करबा सँ समयक बहुत बचत होयत अछि। जे हिसाब–किताब करबा मे ७–८ घंटा लागैत अछि, ओही काम के कम्प्युटर ७–८ मिनट में कऽ सकैत अछि।

(ब) एकदम सही परिणाम (Accuracy in Results): कम्प्युटर कोनो हिसाब–किताबक परिणाम सही दैत अछि। कोनो तरह के हिसाब में गलती नहि करैत अछि।

(स) दुबारा काज करबाक जरुरत नहि (Elimination of Repeatitive Tasks): कोनो काज एक बेर जँ कम्प्युटर सँ भऽ गेल अछि त’ ओही काज के सहेज के दोसर बेर काज में आनल जा सकैत अछि।

(द) आदमी के मेहनतक बचत (Saving of Man Powers): जौं एक आदमी सँ कम्प्युटर प्रयोगक उपरांत आठ घंटा में सँ छः घंटा बचि जायत अछि त’ वो छः घंटाक उपयोग कोनो दोसर काज में भऽ सकैत अछि जाहि सँ उत्पादन (Production) बढ़ि सकैत अछि।

(म) थकावटक संभावना नहि (Lack of Tiredness or Always attentive): आदमी लगातार ४–५ घंटा काज करत तँ छठम घंटा में काज करबाक रफ्तार आ फुर्ती कम भऽ जायत अछि। मतलब आदमी में थकान महसूस करवाक अवगुण अछि मुदा कम्प्युटर मशीन भेला सँ थकान अनुभव नहि करैत अछि। कम्प्युटर आठ घंटा लगातार काम करक उपरांतो नवम घंटा मे काज ओतबे रफ्तार आ फुर्ती सँ करैत अछि जाहि रफ्तार आ फुर्ती सँ वो पहिल घंटा में क’ रहल छल।

कोना पाबी कम्प्युटरक शिक्षा:
सब नौकरी करय बला दुइ तरहे कम्प्युटरक शिक्षा पाबति अछि। पहिल, रोजगार करय बला के अपन कम्पनी सँ खुद कोनो–कोनो कम्प्युटर साक्षरता योजना के अन्तर्गत शिक्षा वा ट्रेनिंग (Training) भेट जायत अछि। दोसर, नौकरी खोजनिहार के नौकरी ढ़ूँढ़बा सँ पहिने कोनो डिप्लोमा (Diploma) वा डिग्री कोर्स (Course) करय पड़ैत अछि।

कम्प्युटर शिक्षा (Computer Education) आजुक जरुरत बनि गेल छैक। जिनका–जिनका नौकरी लेबाक अछि हुनका सभके प्रारंभिक जानकारी (Fundamental Knowledge of Basic Computer Operation) चाहबे करी। कम्प्युटर शिक्षित (Computer Literate) होयबाक लेल अनेको उपाय अछि, जेना:

(अ) Short-Term Computer Course or Diploma: आजुक दिन शहर–शहर में अनेको कम्प्युटर संस्थान खुजि गेल अछि। जाहि सँ तीन, छः वा बारह महीना के कोर्स (Course) कऽ सकैत छी। कुछ कोचिंग संस्थान (Coaching Institute) वगैरह सेहो खुजल अछि जतय सँ जरुरत मोताबिक क्रैश कोर्स (Crash Course) सेहो कऽ सकैत छी।

(ब) कोनो कम्प्युटर सिखाबय बला (Computer Coach) सँ: अगर सुविधा होय तँ कोनो कम्प्युटर जाननिहार कऽ आग्रह कऽ सकैत छी। जेना घर में केओ भाई, कोनो चाची वा कोनो दोस्त, त’ हुनका सँ सेहो कम्प्युटर सीख सकैत छी। Private Job में तत्कालिक रुप सँ कोनो सर्टिफिकेट (Certificate) के जरुरत नहि होयत। बाद मे माँगला पर कम्प्युटर कोर्स कऽ के सर्टिफिकेट द’ देबैक।

(स) किताबक मदद सँ: अगर घर में कम्प्युटर अछि त’, जे विषय वा सोफ्ट्वेयर पैकेज (Software Package) सिखबाक अछि, वो किताब बाजार सँ खरीद के कम्प्युटर सीख सकैति छी।

(द) CD-Rom के सहायता सँ: बाजार में बहुतो CD–ROM (Compact Disk – Read Only Memory) वा CD बहुतो कम्प्युटरक Basic Courses वा Operations के लेल भेटैत अछि। जाहि सँ लगभग सभटा Basic Computer Operations सीखल जा सकैत अछि।

गाँव – देहात में कम्प्युटरक उपयोग
आजुक समय में ऑर्गेनिक खेती (Organic Farming) के बहुत बोल–बाला अछि। आओर ढ़ेर Software Packages कृषि के लेल Applied Computer Science के आधार पर उपल्ब्ध अछि जाहि सँ धान, गेहुम इत्यादि फसल सभ के उत्पादन में नया रुप देल जा सकैत अछि। साथे साथ Pest Control, Weed Control, Plant diseases इत्यादि के सेहो पहचानि सकै छी। इ सभक वास्ते MultiMedia (जाही सँ फोटो देखल जा सकैत अछि आ सँगे–सँग आवाजो सुनल जा सकैत अछि) आधारित Software Package (Software Application) बनल अछि आओर सुविधापूर्वक देखल आ सुनल जा सकैत अछि। एकर अलावा इ Software के मदद सँ भिन्न प्रकारक कृषि–संबंधी निर्णय सेहो लेल जा सकैत अछि।

यदि कम्प्युटर शिक्षित छी त’ अखुनका समय में बैंकिंग ए.टी.एम. (ATM), जे छोट–छोट शहर आ बाजार में उपलब्ध अछि, के उपयोग करबा में आसानी होयत। पैसा निकाल–बाहर करय मे कोनो दिक्कत नहि होयत। एकर अलावे लगभग सभ बैंक मे Internet Banking के सुविधा उपलब्ध अछि। इ सुविधाक उपयोग वो व्यक्ति क’ सकैत छथि जिनका कम्प्युटर के किछु जानकारी होय।

आजुक समय मे ए.टी.एम. (ATM) आकारक रेलवे आरक्षण मशीन लगभग प्रत्येक रेलवे स्टेशन पर भेट जायत। आ ओकर संचालन कम्प्युटर जकाँ होयत अछि। कम्प्युटर सीखला उपराँत आरक्षण स्थिति देखि के आरक्षण करेबा में सुविधा होयति। इ एकटा कम्प्युटर सीखल व्यक्ति के Indirect फायदा हेतैक।

आजुक दिन में गाम–देहात में शिक्षक प्रशिक्षण में बड्ड दिक्कत आ सिखाबय बला के कमी होयत अछि। यदि कम्प्युटर सँ प्रशिक्षण देल जाय तँ Training ज्यादा प्रभावी आ सफल हेतैक। कम्प्युटर सँ Video-Conferencing भ’ सकैत अछि। Video-Conferencing सभ क्षेत्र में बढ़िया भूमिका निभायत, चाहे Pest Control वा Teachers Training होय।

कम्प्युटर शिक्षित व्यक्ति यदि कोनो बाहरक यात्रा (Tour and Travels) करबाक लेल सोचैत छथि त’ हुनका इन्टरनेट सँ पर्यटन विभाग द्वारा प्रकाशित कयल सभटा जानकारी प्राप्त भ’ सकैत अछि। वो Online Hotel Booking, Ticket Booking इत्यादि क’ सकैत छथि।

गाम में कियो Printing Press स्थापित करबा लेल सक्रिय छथि त’ हुनका बढ़िया Publishing के लेल कम्प्युटर आ Publishing Software के व्यवस्था करबाक चाही।

गृहणी / अवकाश – प्राप्त व्यक्ति के लेल कम्प्युटर शिक्षा
हम एक बेर गाम पर एकटा एम. ए. (M. A.) उतीर्ण भौजी, जे पटना मे रहैत छथिन्ह, स’ पुछलहुँ, ’ये भौजी, अहाँ पटना में रहैत छी, खाली समय में जखन बच्चा सब स्कूल में रहैत अछि, कम्प्युटर किएक नहि सीख लैत छी, आगु काज दैत’। जबाब में भौजी बाजली, ’धुरि जाउ, हम की करब कम्प्युटर–फम्प्युटर सीख कए’। मुदा आइ छोट–छोट शहरक नजरिया बदलि गेल छैक। छोट–छोट शहर में कॉल–सेन्टर (Call-Centre), डेटा–इन्ट्री (Data-Entry) इत्यादि खुजि गेल छैक आ ओकर काम मिलैत छैक। कॉल–सेन्टर में अँग्रेजी के अलावा हिन्दी मे सेहो Customer Handling होयत छैक। डेटा–इन्ट्री एकटा साधारण पढ़ल–लिखल औरत सेहो अपन ४–५ घंटा समय दऽ कऽ पूरा कऽ सकैत छथि। इ काम एकटा अवकाश–प्राप्त व्यक्ति सेहो कऽ सकैत छथि। छोट – मोट जगह पर DTP, Accounting Package वा Graphics Designing के जानकार आदमी के जरुरत होयत छैक आ इ कोर्स करबा में कोनो ज्यादा समय नहि लागैत छैक। ३–६ महीना में कियो आदमी एकटा बढ़िया Trainer के Guidance में Expert भऽ सकैत अछि।

कोन कम्प्युटर खरीदी? Branded वा Assembled Computer?
पहिल चीज जे अहाँक जरुरत आ बजट केहन अछि? Branded कम्प्युटर में fixed type के Machinery रहैत छैक आ Assembled में अपन जरुरतक मुताबिक Machinery लगबा सकैत छी। तुलनात्मक ढ़ंग सँ देखि तँ Assembled कम्प्युटर सस्ता पड़त। मुदा जखन कम्प्युटर Assemble कराबी तँ जान-पहचान बला दुकान वा आदमी सँ करायब तँ बढ़िया रहत।

कोन Type के कम्प्युटर खरीदी? Laptop वा Desktop कम्प्युटर खरीदी?
Laptop ऐहन कम्प्युटर अछि जकरा अहाँ कतओ आराम सँ लऽ जा सकैत छी, सुतैत–बैठेत काज कऽ सकैत छी। मोटा–मोटी कही तँ Laptop वो व्यक्ति कऽ बढ़िया सँ Suit करैत छैक जिनका बेसीखन घुमय पड़ै छैन्ह। विद्यार्थी लोकनि के लेल Desktop Computer बढ़िया होयत छैक। कुर्सी पर बैठ कऽ काज करबा में आलस आ सुस्ती अयबाक संभावना कम रहैत छैक। विद्यार्थी लोकनि के आलस कम हेतैन्ह तऽ पढ़वा में बेसी मन लागतैन।

केहेन Configuration केँ कम्प्युटर खरीदी?
जखन कम्प्युटर खरीदबाक होय त’ इ बात ध्यान में राखल जाय जे कम्प्युटर लेब’ के की उद्देश्य अछि? आ कम्प्युटर सँ कोन काज करबाक अछि? कोनो सामान्य Data Entry आ Composing के वास्ते अति आधुनिक कम्प्युटर के जरुरत नहि अछि। हाँ, जे कियो D.T.P. (Desk Top Publishing) वा Publisher के कामक लेल कम्प्युटर खरीदवाक इच्छुक छथि तँ हुनका लेल उत्तम कम्प्युटर होबाक चाही।

ओना एकटा बात इलेक्ट्रोनिक सामान (Electronic Goods) मे सदिखन ध्यान मे राखी, जे आय जेँ समान केयो खरीद कऽ रहल छथि, छः मासक उपरांत ओही समान सँ उत्कृष्ट आ सस्ता सामान बाजार मे उपलब्ध भऽ जायत। ताहि कारणे कम्प्युटर जखन खरीदी तँ Advanced वा Latest Configuration के साथ खरीदी। जाहि कारणे भविष्य मे २-३ सालक उपरांत उपयुक्तता बनल रहत।

कम्प्युटर खरीदवा में मुख्यतः CPU आ ओकर Speed, RAM के क्षमता (Capacity), Hard Disk के Storage Capacity आ Monitor के ध्यान में राखबाक प्रयास होयबाक चाही।

Hardware Recommendation for a new computer (एकटा सलाह)

CPU : 2.0 / 2.6 GHz Pentium IV
RAM : 512 MB / 1 GB
Hard Disk : 80 GB
CD Drive
Monitor : 15” / 17” colour


Warranty: सब Hardware पर १–५ सालक वारंटी मिलत, एहि लेल दुकानदार स’ फरिछा कऽ बात केनाय बढ़िया रहत। सँगे–सँग कम्प्युटर पर जे Software Package वा Operating System चाहैत छी ओ दुकानदार के पहिने बता देला सँ नीक रहत।

कम्प्युटर बना रहल अछि आदमी केँ जीवन सरल:
पहिनहि ढ़ेर रास बात कम्प्युटर के उपयोगिता आ लाभ पर भऽ चुकल अछि, जाहि में देखल गेल जे कम्प्युटरक सहयोग सँ शीघ्रता, सही आ संगठित रुपेन काज सम्भव अछि। मुदा किछु बात और छैक जे सभ गोटेक लेल उपयोगी अछि। जेना ई-मेल एकटा ऐहन बढ़िया सुविधा अछि जकरा सुबह, दुपहरिया, साँझ वा राति, सदिखन उपयोग मे आनि सकैत छी।

विद्यार्थी लोकनिक लेल बढ़िया–बढ़िया पुस्तक CD के रुप में उपलब्ध अछि जाहि सँ सभ विषयक तैयारी आ Exercise व्यवस्थित (Systematic) रुपेन सम्भव अछि। बहुतो संख्या में इन्टरनेट पर Online Books आ Exercise सेहो उपलब्ध अछि। जाहि सँ विद्यार्थी लोकनि के पढ़ाई–लिखाई सुगम भऽ सकैति अछि।
अखबार घर में मँगावी वा नहि मँगावी, घर पर अखबार पढ़बाक मौका लागे वा नहि लागे, मुदा इन्टरनेट के द्वारा सभटा अखबार, चाहे हिन्दी में हो वा अंग्रेजी में, पढ़ि सकैति छी। मतलब अनेको अखबार आ E-Journals कम्प्युटरक माउसके एक Click सँ पाबि सकैत छी। एकर अलावे सभटा टी.वीक (TeleVision) News Channels के Website सेहो उपलब्ध अछि, वो Website सँ Audio आ Video दुनु तरहक समाचारक आनंद लऽ सकैत छी। एतबे नहि, Online Channels सेहो उपलब्ध अछि, जे ठीक TV केँ प्रतिरुप अछि।

बाजार मे TV Tunner Card सेहो उपलब्ध छैक। इ Card कम्प्युटर में लगा कऽ TV के आनंद कम्प्युटर में भेट सकैत अछि। मनोरंजन के बहुतो साधन में कम्प्युटर सँ FM Radio वगैरह सेहो सुनल जा सकैत अछि।

आय–काल्हि बहुतो Online Games आ Games CD बाजार मे उपलब्ध छैक जाहि सँ बच्चा आ बूढ़ सभक बढ़िया मनोरंजन भऽ सकैत अछि।

एकर अलावा अनेको सुविधा अछि जेकर विवरण एहि आलेख के सीमा सँ बाहर अछि। आशा अछि अपनेक लोकनि कऽ इ लेख उपयोगी लागल होयत।

एकर अलावे हम एकटा मैथिल होयबाक नाते अहाँ के कोनो तरहक दिशा-निर्देशन कम्प्युटरक क्षेत्र में कऽ सकैत छी। हमर सौभाग्य होयत अपनेक कोनो सहायता करवा में। जिनका कोनो जानकारी लेवाक होय त’ हमर E-Mail पर संपर्क कऽ सकैत छी। हमर नि:स्वार्थ इच्छा अछि जे मिथिलाक घरे–घरे कम्प्युटर जाननिहार हुअए। आशा अछि जल्दिए अपने लोकनिक समक्ष हमर लिखल किताब, जकर नाम अछि “HOW TO GET A JOB”, प्रस्तुत होयत जाहि सँ सब लोकनि (रोजगार वा बेरोजगार) के बढ़िया नौकरी (Job) पाबय में मार्गदर्शन भेटत।

अंततः कहल जा सकैत अछि जे कम्प्युटर केवल उपयोगी टा नहि, नौकरी लेबाक लेल एकटा साधनो बनि गेल अछि।

ज्योति प्रकाश लाल ‘नारायणजी’
ग्राम: जगतपुर (सुपौल)
Software Engineer, Wipro Technologies
E-mail: jyotiprakash.lal@gmail.com

अंतिम फेसबुक अपडेट

लेखक: आदि यायावर मूलनाम: डा. कुमार पद्मनाभ पीयूस आफिस पहुँचि गेल छलाह. सबसँ पहिने अपन लैपटॉप खोलि फेसबुक में स्टेटस अपडेट केलाह आ ...