जिनगी कोना भेंटत ?

दुख:क ठोर पर हंसी कोना भेंटत ?
जेकरा भाग्ये में अछि दुःख,
ओकरा ख़ुशी कोना भेंटत ??
जे नहि बेचलक अप्पन आत्मा कें,
ओकरा नौकरी कोना भेंटत ??
गामो कए रहल अछि शहरक देकसी,
आब कतहु सादगी कोना भेंटत ?
चान पर बढि रहल अछि प्रदुषण,
भला कहू ! चांदनी कोना भेंटत ??
ओना त' मोन सबहक होएत छैक,
मुदा सबहक "परी" कोना भेंटत ?
हाट पसरल अछि मौअतिक सभ तर ,
एहि में जिनगी कोना भेंटत ??
दुख:क ठोर पर हंसी कोना भेंटत ??

- करण समस्तीपुरी

अंतिम फेसबुक अपडेट

लेखक: आदि यायावर मूलनाम: डा. कुमार पद्मनाभ पीयूस आफिस पहुँचि गेल छलाह. सबसँ पहिने अपन लैपटॉप खोलि फेसबुक में स्टेटस अपडेट केलाह आ ...