मैथिली कोना लिखी ?

बहुत गोटा हमरा मेल सऽ पुछला जे मैथिली (देवनागरी लिपि) के कम्प्यूटर पर कोना लिखल जाय। ओना तऽ आय काल्हि ई बहुत आम बात छैक, आ सौंसे लोग-बाग अपन भाषा में लिख रहल छैथ मुदा Windows XP के अयला उपरांत एहि में क्रांति आबि गेल। कारण जे Windows XP में छल यूनीकोड तकनीक के प्रयोग जाहि सऽ कोनो भाषा विशेष के एकटा यूनीकोड फोन्ट रहने ओ कम्प्यूटर में प्रदर्शित होयत अछि।



देवनागरी में लिखनाय बहुत आसान काज छैक आ Windows XP के बाद सऽ सभ टा Operating Systems में Unicode Support देल गेल छैक, जाहि सऽ यदि हम कोनो यूनीकोड भाषा के प्रयोग करैत छी तऽ ओकरा Operating System डिस्पले करैत छैक। ई तऽ भेल Technical गप्प, आब प्रायोगिक स्तर पर देखु जे हम कोना एकरा प्रयोग करैत छी।



मैथिली दिखबा के लेल सभक कम्प्यूटर में कम सऽ कम एकटा देवनागरी Unicode Font रहबा के चाही, जेना Mangal भेल। लेकिन ओकरा लिखै के लेल एकटा Software, Baraha IME अहाँ प्रयोग कऽ सकैत छी। एहि लिंक पर अहाँ के प्रयोग करै के निर्देश आ डाउनलोड हेतु Software भेट जायत। http://www.baraha.com/BarahaIME.htm । मुफ्त भेला के कारण अहाँ के कोनो तरद्दुद बला बात नहीं। बस डाउनलोड कऽ के Language के हिन्दी Set करियौ। बस भऽ गेल। लिंक बला पेज के एक बेर पढ़ि लेब तऽ बहुत रास बात बुझा जायत। जौं दिक्कत होय तऽ Program Files > BarahaIME 1.0 > BarahaIME 1.0 Help में Devnagarai Transliteration Scheme में देखु।



इंस्टाल भेला पर प्रयुक्त भाषा केर पहचान: प्रयुक्त भाषा केर पहचान

भाषा परिवर्तन एना करु:भाषा परिवर्तन
कोनो दिक्कत भेला पर rajeevranjanlall@gmail.com पर मेल भेजु, जाहि सऽ हम एहि निर्देश के बेसी फरिछा सकी।

7 comments:

Unknown said...

प्रिय राजिव जी
सर्बप्रथम मैथिली भाषा के बढावा देबेक लेल अहांक कोटि कोटि धन्यवाद !!!
हमरा एकटा समस्या के सामना कर पड़ि रहल अछि.
MS WORD ऒर NOTEPAD मे मैथिली लिखै मे दिक्कत के सामना कर परैत अछि. कॄप्या हमर समस्या केर समाधान करै के कष्ट करब.

राजेश
जामनगर, गुजरात

Rajeev Ranjan Lal said...

राजेश जी,
धन्यवाद अहाँ के "कतेक रास बात" टीम के मनोबल बढ़ाबै के लेल। अहाँ लिखैत छी जे MSWORD वा NOTEPAD में कोना लिखी। हमर जे निर्देश छल ओ वेब पर लिखै के लेल छल आ एहि सऽ अहाँ केवल Unicode Encoding में लिख सकै छी। जौं अहाँ MSWORD वा NOTEPAD में लिखै के लेल इच्छुक छी तऽ अहाँ के Baraha के पूर्ण Software एहि लिंक में भेट जायत जे ANSI Encoding में लिखै के सुविधा सेहो प्रदान करैत अछि। http://www.baraha.com/baraha.htm
एहि पृष्ठ पर निर्देश पढ़ु आ Software के डाउनलोड कऽ लियऽ। ओकर बाद Program Files> Baraha > Baraha Direct चुनि लियऽ। Baraha Direct अहाँ के ANSI आ Unicode दुनू में लिखय के सुविधा प्रदान करैत अछि। जखन MSWORD वा NOTEPAD में लिखबा के होउ तऽ ANSI में बदलि लियऽ आ Font Baraha Hindi चुनु। भाषा परिवर्तन के हिसाब-किताब Baraha IME जकाँ अछि, से अहाँ के आब बुझल अछि।

Anonymous said...

प्रिय राजीव जी,
”मैथिली कोना लीखी क वास्ते", बहुत-बहुत धन्यवाद ।

इ instruction बहुत लोक के मथिली में लीखक हेतु प्रेरित करतैंन । Perfection के लेल practice makes a man perfect.

पुन: धन्यवाद ।

सतीश चन्द्र झा
कलकत्ता

Rajeev Ranjan Lal said...

@सतीश जी
जौं सत बाजी तऽ ई विचार अहीं के अछि आ ओकरे ध्यान में राखि के हम सब एहि दिशा में आगाँ एलियै। अहाँ के टिप्पणी वस्तुस्थिति के देखैत सटीक छल आ प्रायोगिक सेहो। हम सभ चकित छलहुँ जे साढ़े चारि करोड़ मैथिल में मैथिल लिखै बला के संख्या एते कम कियेक। आब बुझबा में आबि रहल अछि जे शुरुआती दिक्कत बेसी परेशान करैत छैक। अखन आब दोसर सवाल छै जे कोन तरह के मैथिली ब्लोग केर हम सब अपेक्षा करैत छी। बहुत रास मेल इहो संबंध में हमरा भेटल कि की लिखल जाय? हमर सलाह, जे किछ मोन में आबय यऽ, आ अहाँ के इच्छा होयत एछि जे अनको ई बात बतैबतियेक तऽ एतय लिख सकैत छी।

धन्यवाद,
राजीव रंजन लाल

Prabhakar Pandey said...

सर्बप्रथम मैथिली भाषा के बढावा देबेक लेल अहांक कोटि कोटि धन्यवाद

Anonymous said...

सर्बप्रथम मैथिली भाषा के बढावा देबेक लेल अहांक कोटि कोटि धन्यवाद

Dr Divakar Jha said...

प्रिय राजीव जी
अपनेक द्वार देल सुझाव मैथिली भाषा के देवनागरी मे लिखवाक हेतु त ठीक अछि, किन्तु तिरहुता मे कोना लिखल जाय??

अंतिम फेसबुक अपडेट

लेखक: आदि यायावर मूलनाम: डा. कुमार पद्मनाभ पीयूस आफिस पहुँचि गेल छलाह. सबसँ पहिने अपन लैपटॉप खोलि फेसबुक में स्टेटस अपडेट केलाह आ ...