आई पूरे विश्व भर मे करोड़ोँ मैथिल पसरल छथि आ इन्टरनेट एक दोसर मैथिल केँ जोड़बाक लेल सबसँ महत्वपूर्ण साधन थीक. "कतेक रास बात" इन्टरनेट पर मैथिली साहित्य सृजन एवम मैथिली साहित्य प्रकाशन’क लेल एकीकृत मँच प्रदान करैत अछि. नवम्बर २००४ मे एकर शुरुआत हम केलहुँ आ आई धरि एकर २८१४२ टा पाठक छथि. कतेक रास बात’क शुरुआतकर्ता'क रुप मे हमरा ई घोषित करबा मे बहुत हर्ष भऽ रहल अछि जे नवम्बर २००४ मे शुरुआत भेल ई प्रयोग आई सफल लागि रहल अछि. सफल किएक नहि हो, जखन हमरा लऽग मे
२२ टा रचनाकार’क टीम अछि आ एखन धरि १०० रचना प्रकाशित काएल जा चुकल अछि. पहिल रचना हमर छल आ १००वाँ रचना श्री विवेकानन्द झा छथि.
जेना पहिने कहल जा चुकल अछि जे कतेक रास बात मैथिली साहित्य सृजन एवम प्रकाशन’क लेल एकीकृत मँच प्रदान करैत अछि, एहि बात सँ बेसी महत्वपूर्ण अछि जे एहि निकाय मे २२टा रचनाकार’क अलावा 28142 टा पाठक छथि. रचनाकार आ पाठक’क एहि निकाय मे महत्वपूर्ण योगदान करय वाला व्यक्ति केँ कतेक रास बात’क टीम अपन वार्षिकोत्सव मे पुरस्कृत करबाक ठानि नेने छल. 2008 मे मैथिली भाषा केँ इन्टरनेट पर आनय मे जे कोनो भी व्यक्ति योगदान केने होइथि कतेक रास बात’क टीम हुनका अपन वार्षिकोत्सव मे पुरस्कृत करबाक योजना बनेने छल. पुरस्कार विभिन्न श्रेणी मे राखल गेल छल — जेना (१) कतेक रास बात’क अलावा सर्वश्रेष्ठ ब्लोगर (२) कतेक रास बात पर प्रकाशित सर्वश्रेष्ठ कथा’क लेखक (३) कतेक रास बात पर प्रकाशित सर्वश्रेष्ठ कविता’क कवि (४) कतेक रास बात पर अपन आलोचनात्मक सँगहि साकारात्मक टिप्पणी देब’ वाला पाठक.
कतेक रास बात वार्षिकोत्सव, दिसम्बर २०, २००८ केँ बँगलोर’क कन्फिडेन्ट कैस्केड नामक रेसोर्ट मे मनेबाक निर्णय काएल गेल. बँगलोर मे रहय वाला लगभग १०० मैथिल परिवार केँ निमन्त्रण देल गेल. मुदा समयाभाव, छुट्टी’क मौसम इत्यादि’क कारणेँ ३२ टा मैथिल परिवार एहि लेल एकत्रित भेल. एहि पूरे कार्यक्रम केँ हम अपनहिँ व्यवस्थापक छलहुँ. आ कार्यक्रम’क सँचालन कतेक रास बात’क सम्पादक मण्डली’क सदस्य श्री कुन्दन कुमार मल्लिक केलैथ मुदा केशवजी’क हाजिर जवाबी कार्यक्रम केँ रोचक बना देलक.
एहि कार्यक्रम मे पहिने प्रत्येक परिवार अपन परिचय देलैथ. एहि मे दू तरह’क प्रतियोगिता राखल गेल छल. पहिल जे अविवाहित मैथिल अपन देल गेल परिचय आ बाद मे पुछल गेल प्रश्न’क आधार पर सबसँ नीक मैथिल पति-पत्नी केँ चुनताह. आ ओकर बात अपन परिचय आ बाद मे पुछल गेल प्रश्न’क आधार पर लेडीज लोकनि सर्वश्रेष्ठ विवाह योग्य यूवक केँ चुनतीह. एहि प्रतियोगता मे कतेक रास बात’क टीम केँ भाग नहि लेबाक छलन्हि. कुन्दन जी आ केशव जी कार्यक्रम’क सँ सँचालन नीक सँ केलैथि. कार्यक्रम रोचक छल.
परिचय एवम एहि प्रतियोगिता’क उपरान्त सास्कृतिक कार्यक्रम’क आयोजन छल. कार्यक्रम’क शुरुआत काएलथिन्ह श्री अविनाश झा जे दू गोट मैथिल गीत सुनौलन्हि. पहिल विद्यापतिक गीत एवम दोसर श्रृँगार रस एक गोट गीत. लागैत छल जे ओ पूर्ण व्यवसायिक कलाकार छथि. हुनकर उर्जा केँ देखि हमर पत्नी "अल्पना" से प्रेरित भऽ गेलीह आ विद्यापति रचि मोरे रे अँगनमा सँ सबकेँ स्तब्ध कऽ देलथिन्ह. हुनका मे से मेधा’क समायोजन अनायासे देखबा मे आयल. विनोद झा जी द्वारा फिल्म शोले’क डायलोग केँ मैथिली मे बाजि वाहवाही लुटलाह. मुरारी झा’क गीत एहि मे एकटा नव आयाम जोड़ि देलक.
राति मे भोज’क आयोजन से छल. भोज’क उपरान्त प्रतियोगिता’क विजेता घोषित काएल गेल. कार्यक्रमोपरान्त श्री विभुति कुमार झा एवम हुनक पत्नी केँ सर्वश्रेष्ठ मैथिल पति-पत्नी श्री अविनाश झा एवम हुनक पत्नी केँ रनर-अप घोषित काएल गेल. सुपौल निवासी श्री विशाल वर्मा केँ बेस्ट एलिजिबल बैचलर एवम श्री सन्दीप रँजन केँ रनर अप घोषित काएल गेल. एकर बाद सबसँ कतेक रास बात’क मुख्य पुरस्कार’क घोषणा काएल गेल. पुरस्कार विजेता निम्न लोक छथि.
१. मैथिली भाषा’क सर्वश्रेष्ठ ब्लोगरः- श्री हितेन्द्र गुप्ता (पत्रकार सहारा समय)
२. डा० अशोक सिँह तोमरः- विभागाध्यक्ष सहरसा कालेज सहरसा
३. सर्वश्रेष्ठ कवि: श्री शुभाष चन्द्र (पत्रकार, नई दिल्ली)
४. सर्वश्रेष्ठ पाठक-टिप्पणीकार: श्री निशान्त कुमार एवम श्रीमती रँजना सिँह
सब लोकनि एहि बात पर सहमत छलाह जे एहेन तरह’क कार्यक्रम आयोजन प्रत्येक तीन महीना पर हो. प्रत्येक सहभागी केँ एक एक कोहबर पेन्टिँग दैत कार्यक्रम समापन’क घोषणा काएल गेल.